प्रेमक रेखागणित (कथा) - श्याम दरिहरे

‘‘तों हमर आब केन्द्रविन्दु बनि गेल छें।’’

‘‘आऽ तों हमर की बनि गेल छें ?’’

‘‘हम छी बनि गेल तोहर परिधि। चारु दिससऽ तोरा आवृत कएने।’’

‘‘तखन हमर तोहर एकठाम हैब कोना संभव अछि संदीप ? तों हमर परिधि बनल चारुभर घुमैत रहबें आ हम केन्द्र बनि निश्चल अपन स्थानमे सटल रहब। तखन तऽ भेल प्रेमक सबटा गुड़ गोबर।’’ रेखा बाजलि।

‘‘न्न ! से कोना हेतैक गुड़ गोबर। एखन हमर बनाबट पूरा कहाँ भेलए। तों केन्द्र बनल रहबें आ हम परिधि बनि प्रेमक त्रिज्यासऽ जुड़ैत रहब। तों जखन रेसीप्रोकेट करबें तखन दुनू त्रिज्या मिलि व्यास बनि जेतैक आ प्रेम पूर्ण भऽ जेतैक प्रिये रेखा मैडम।’’ संदीप कहलकैक आ दुनूकेँ हँसी लागि गेलैक।

‘‘से व्यास तऽ कहिआ ने बनि गेलौ तखन आइ एतेक फेकि किए रहल छें। सेहो छौ एकदम खाँटी मैथेमेटिकल फेक।’’ रेखा हँसिते हँसिते कहलकैक।

‘‘गलत एकदम गलत। एक तऽ हम ई फेकि नइ रहल छी ई तऽ अछि हमर प्रेमक अभिव्यक्ति। दोसर जे ई हमर मैथेमेटिकल नहि बल्कि तोहर सेवामे जेओमेट्रिकल अभिव्यक्ति अछि मैडम।’’ संदीप कहलकैक।

फेर दुनू गोटाकेँ हँसी लागि गेलैक।

‘‘जेओमेट्रिकल अभिव्यक्ति प्रेममे बेसी कारगर होइत छैक।’’ संदीप बाजल।

‘‘से कोना ?’’ रेखा बिहुँसति पुछलकैक।

‘‘मैथेमेटिक्समे कन्सट्रक्सन नहि खाली गणना छैक। एकदम निष्क्रिय गणना। मुदा जेओमेट्रीमे अपन भुजा बढ़ाउ आ सामनेक रेखाकेँ पकड़ि लिअऽ। हे एनाकऽ।’’ संदीप हँसैत कहलकैक आ रेखाकेँ अपन बाँहिमे भरि लेलकैक।

‘‘देख बाबू तों आइ काल्हि बड़ धृष्ट भेल जाइत छें। एकर परिणाम भोगऽ पड़तौ तखन बुझबिहिं।‘‘ रेखा ओकरा अनुरागसऽ दूर ठेलैत बाजलि।

‘‘कोनो परिणामक कोनो डर नहि। अब चाहे सिर फूटे चाहे माथा अब तो......। ’’ संदीप फेर रोमान्सक मूडमे कहलकैक।

‘‘बस बस जँ भोरे भोरे फेकल भऽ गेल होउक तऽ हम सब आब आफिस विदा होइ।’’ रेखा आगू विदा होइत कहलकैक। मुदा संदीप रेखाकेँ पाछुसऽ बाँहिमे लैत बाजल, ‘‘एकटा बात कहिऔक रेखा ?’’

‘‘की ?’’

‘‘प्रेममे मैथेमेटिकल गणना सेहो बड़ा शानदार होइत छैक।’’

‘‘से कोना ?’’

‘‘प्रेममे कखनो एक जोड़ एक बराबर दू नहि होइत छैक।’’

‘‘अच्छा तऽ कते होइत छैक ?’’ रेखा उत्सुकतासऽ पुछलकैक।

‘‘प्रेममे वन प्लस वन इज इक्वल टू एवरीथिंग इन द वर्ल्ड। (एक जोड़ एक बराबर संसारक सब किछु)’’ संदीप कहलकैक।

‘‘वाह! सुन्दर, अति विलक्षण!’’ रेखा आनन्द लैत कहलकैक।

‘‘आ टू माइनस वन इज इक्वल टू जीरो, नथिंग। एवरीथिंग गॉन। ( दू घटे एक बराबर शून्य, किछु नहि। सब किछु खतम)’’ संदीप गंभीर होइत कहलकैक।

‘‘तोहर ई सब बात सुनिकऽ आइ फॉल इन लव विद यू अगेन एण्ड अगेन संदीप। यू आर रीअली ग्रेट लवर। आइ लव यू टू संदीप आइ लव यू।’’ रेखा सेहो भावुक होइत बाजलि आ आफिस लेल दुनू विदा भऽ गेल।

रेखा आ संदीपक भेंट इन्टरव्यूक समय भेल छलैक। परीक्षा छलैक कोलकातामे भोरे दस बजेसऽ। संदीप स्टेसन पर उतरि सीधे साल्ट लेक परीक्षा स्थल पर जुमि गेल छल। एकटा गाछक तर बैसि एकटा पुस्तक उलटा रहल छल। थोड़ेक कालक बाद एकटा अति सुन्नरि कन्या सेहो अपन बैग लेने पहुचलैक। आफिस खुलबामे बिलंब छलैक। तें ओ कन्या सेहो ओही गाछ तर चबूतरा पर बैसलि।

‘‘हलो, अहाँ की इन्टरव्यू देबऽ आयल छी ?’’ संदीप अंग्रेजीमे पुछलकैक।

‘‘हँ हम इन्टरव्यू लेल आयल छी। आ अहाँ ?’’ कन्या हिन्दीमे जबाब देलकैक।

‘‘हँ हमहुँ ओही लेल आयल छी। अहाँ कत्तसऽ अयलहुँ अछि?’’ अइबेर संदीप सेहो हिन्दीमे पुछलकैक।

‘‘हम मधुबनीसऽ आयल छी। अहाँ कत्तसऽ अयलहुँ अछि ?’’ कन्या पुछलकैक।

‘‘हम सहरसासऽ आयल छी। हमर नाम अछि संदीप झा।’’ अइबेर ओ खाँटी मैथिलीमे बाजल।

‘‘हमर नाम अछि रेखा मल्लिक। वाह हम दुनू गोटा तऽ मैथिले निकललहुँ। हम बड़ डेरायलि अबैत रही। पहिलबेर एतेकटा शहर अयलहुँ अछि। हावड़ा स्टेसनसऽ बाहर आबिकऽ तऽ हमर हाथे पएर सुन्न भऽ गेल भीड़ भाड़ देखिकऽ। टैक्सी लेलहुँ आ ओकरा एतुका पता कहलिऐक। संयोगसऽ ओ नीक लोक आ बिहारीए छल। नीक जकाँ एतऽ धरि पहुँचा देलक। आब अहाँ भेटि गेलहुँ तऽ आधा कन्फीडेन्स हमरा अहिना आबि गेल।’’ रेखा प्रसन्न होइत बाजलि।

‘‘अहाँ कोन ट्रेनसऽ अयलहुँ ?’’

‘‘गंगासागरसऽ।’’

‘‘अरे हमहुँ तऽ दरभंगामे गंगेसागर पकड़ने छलहुँ।’’ संदीप कहलकैक।

समय पर लिखित परीक्षा आ इन्टरव्यू भेलैक। चारि बजे रीजल्ट सुना देल गेलैक। रेखा आ संदीप दुनूक सेलेक्सन भऽ गेल छलैक। रीजल्ट सुनि दुनू बेस प्रसन्न भेल छल। हाथ मिलाकऽ एक दोसरकेँ बधाइ देने छलैक।

‘‘तखन आब ?’’ संदीप पुछलकैक।

‘‘आब सातम दिन ज्वाइन करबा लेल अयबाक छैक। अहाँ वापस कोना हेबैक ?’’ रेखा पुछलकैक।

’’हमरा घुरतीक रिजर्वेसन नहि अछि। आब तऽ जेनरले बोगीमे लटकि फटकि कऽ जाए पड़तैक।’’ संदीप बाजल।

‘‘हम कोना जाएब से फुराइते ने अछि। कंपनी लिखने छलैक जे दू तीन दिन ठहरबा लेल तैयार भऽकऽ अयबा लेल। तें घुरती टिकट हमहुँ नहि लेलहुँ। हम तऽ आब काल्हिए कोनो जोगार करब।‘‘ रेखा बाजलि।

‘‘रातिमे कत्त रहबइ अहाँ ?’’

‘‘सैह तऽ सोचि रहल छी। अच्छा जँ आइ रीजल्ट आइ नहि फरिछैतैक तऽ अहाँ कत्त ठहरितिऐक?’’ रेखा पुछलकैक।

‘‘कोनो होटलमे रहि जइतिऐक। आर की।’’ संदीप बाजल।

‘‘तखन एकटा मदति करु। हम आइ धरि कोनो होटलमे नहि रहल छी। तें कने हमरा संग चलू। होटलमे हमरा लेल एकटा रूम बुक करा दीअऽ तखन अहाँ चलि जाएब । हम काल्हि कोनो ट्रेनसऽ दिने दिने पटना आ ओतऽ सऽ बससऽ मधुबनी चलि जाएब।’’ रेखा आग्रह करैत बाजलि।

संदीप कने काल चुप रहल तखन बाजल, ’’आब हम अहाँ एकेठाम नौकरी करब। सहकर्मी होएब तखन अहाँकेँ अनजान जगहमे असगर छोड़ि चलि जायब उचित नहि बुझा रहल अछि। हमरे कोन रिजर्वेसन अछि जे गाड़ी छुटल जाइअए। चलु हमहुँ एकटा रूम लऽकऽ रहि जाइत छी। काल्हि दुनू गोटा संगे पटना चलब।’’

‘‘अहाँ कते नीक छी संदीपजी!’’ प्रसन्नतासऽ रेखा बाजल छलि।

तहिआसऽ दुनूगोटा संगे रहए लागल। ज्वाइन करऽ दुनू संगे आयल। एके होटलमे फेर ठहरल। एक सप्ताहक बाद एकटा तीन बेडरूम फ्लैट भाड़ा पर लेलक। एकटाकऽ बेडरूम ओ सब अपन अपन रखलक आ एकटा साझी रहलैक गेस्ट रूम हिसाबे। दुनू अनजान जगह पर एक दोसराक सहारा छलैक। नीक बेजाएमे संग रहए लगलैक। तखन एतेक आपकतामे दू युवा हृदयमे प्रेमक उद्भव होएब कोनो आश्चर्यक बात नहि छलैक आ से भेलैक। मुदा प्रेमकेँ व्यक्त करब आ खुलिकऽ स्वीकार करब कठिन बुझा रहल छलैक।

एक रविकऽ भोरे दुनू बालकोनीमे बैसल छल। एकाएक संदीप कहलकैक, ‘‘रेखा, अहाँ एकटा बात जनैत छी जे मैथिलीमें छौंड़ा छौड़ीक बीच प्रेम करबाक भाषाक विकास नहि भेल छैक ?’’

‘‘एकर की मतलब भेलैक सैह हम नहि बुझलहुँ। कने फरिछाकऽ कहिऔक।’’ रेखा बाजलि।

‘‘देखऔ हिन्दीमे प्रेमक संबोधन छैक ‘तुम’। तहिना बंगलामे छैक ‘तुमि’। मुदा मैथिलीमे छैक अहाँ - अहाँ। से कहू तऽ अनकाइन सन लगैत छैक वा पति पत्नी सनक।’’ संदीप बाजल।

‘‘से किए! मैथिलीओ मे तऽ छैके - तों, तोरा, रौ, गय आदि।’’ रेखा कहलकैक।

‘‘हँ छइ तऽ अवस्से मुदा ओकर प्रयोग अपना ओइठाम छोटाह बना देने छैक।’’ संदीप निराश जकाँ बाजल।

‘‘अपना ओइठाम माए, बहीन, पीसी, आ बेटा, भाए, भतीजा आदिकेँ छोड़ि अन्यकेँ लोक ‘अहाँ’ कहैत आयल छैक। छौंड़ी छौंड़ा स्कूल कालेजमे हिन्दी अंग्रेजीमे प्रेम कऽ लैत अछि। मिथिलामे पति पत्नीक बीच प्रेम छोड़ि आर कोनो प्रेमक मान्यता नहि छैक। तें साहित्य सेहो एहि संबंधमें चुपे सनक अछि। तखन प्रेमक भाषाक विकास मैथिलीमे होउक कोना। मुदा अचानक अहाँकेँ आइ मैथिलीमे प्रेमक भाषाक खगता किएक भऽ रहल अछि।’’ रेखा आश्चर्यसऽ हँसैत कहलकैक।

‘‘हम अइ ‘अहाँ अहाँ’ केँ कतेक दिन उघैत रहब। तें एकरासऽ मुक्त होबऽ चाहैत छी।’’ संदीप कने कुटिल मुस्कानक संग बाजल।

‘‘अर्थात् ?’’

‘‘अर्थात् जे हम आब रेखाकेँ ‘अहाँ’ नहि बल्कि ‘तों, तोरा, गय’ कहऽ चाहैत छी।’’ संदीप खुलिकऽ बाजल।

‘‘अँय रौ छौंड़ा तों हमरा एना घुमा फिराकऽ प्रपोज कऽ रहल छें। दुष्ट नहितन !!’’ रेखा ओकरा कुर्सी परसऽ ठेलैत कहलकैक।

संदीप कुर्सी परसऽ खसैत खसैत बाँचल, ‘‘गय दुष्ट तों एना ठेलिओकऽ हमर प्रेम स्वीकार तऽ कएलें ने ?’’

‘‘तोरे भाषामे स्वीकार केलिऔक तखन आब संदेह किएक होइत छौक!!’’ रेखा बाजलि।

तकर बाद दुनूकेँ जोरसऽ हँसी लागि गेलैक। बड़ीकाल धरि दुनू हँसैत रहल।

‘‘एतेक भूमिका बान्हिकऽ तोहर प्रपोज करब हमरा बड़ नीक लागल संदीप ! यू आर रीअली समथिंग।’’ रेखा आनन्दित होइत ओकर हाथ अपना हाथमे लैत कहलकैक।

‘‘तों सेहो जाहि विधिए अपन स्वीकृति देलैं से अद्भुत छलौक। सत्ते हमरा बड़ नीक लागल रेखा। हमरा तोरा बीच आब ई औपचारिकताक बन्हन टूटब आवश्यक भऽ गेल छल।’’ संदीप बाजल।

‘‘तैओ एकटा बात हम साफ साफ कहि दैत छिऔक बाबू! एकरा बंबईआ लिव इन रिलेसन नहि बुझि लिहें।’’ रेखा कहलकैक।

‘‘हम तोरासऽ रोमान्स नहि करैत छी। हम तोरा प्यार करैत छिऔक रेखा। प्रेममे तोहर सुनरताइ, तोहर मुस्कान, तोहर भावना, तोहर दृष्टि अही सबसऽ काज चलैत रहत। जँ हमसब रोमान्स करितहुँ तऽ अइ सभक कोनो महत्व नहि रहितैक। रोमान्स मे चाहैत छल केवल तोहर देह। तोरा कोनो शिकायतक अवसर हम नहि देबौक कहिओ।’’ संदीप ओकर माथ अपन छातीमे सटबैत बाजल।

‘‘बाप रे बाप! तों कते बात जनैत छें संदीप! हम सत्ते तोरासऽ प्यार कऽकऽ ......।’’ रेखा बजैत बजैत चुप भऽ गेलि।

दुनू एक संग रहैए दुनू एक रंग रहैए।

रेखाकेँ माए छैक बाप नहि छथिन। रेखा जखन तीने बरखक छल तऽ बाप मरि गेलखिन। माए अपन पऽर पटिदारक दबाब आ कुटचालिकेँ बरदासि करैत एकमात्र संतान लेल जान उपछि देने छैक। रेखा अपनहुँ माएक कामना पूर्ण करबा लेल जी जानसऽ परिश्रम कएने छैक। आब तऽ सहजहिं ओ अपन पएर पर ठाढ़ भऽकऽ घरक दरिद्रा आ माएक मुँहक उदासी कात कऽ देने छैक।

संदीपक घरमे एकर ठीक उलटा बाप छथिन माए नहि। बाप आ एकटा छोट भाए गाममे रहैत छथिन। भाए लोकल कालेजमे बीएमे पढ़ैत छैक। गाम छैक कोशीक तटबंधक भीतर। नाव आ साइकिल अखनहुँ सबसऽ सुभीता सवारी छैक ओकरा गामक। खेत पथार कम नहि छैक मुदा उपजा छैक भगवाने भरोसे। ने गाममे नीक जकाँ बसले अछि ने गाम छोड़बाक सट्ठे छैक। संदीप अपन बापक सबटा आशाक केन्द्र विन्दु छैक। संदीपक बिआह हेतैक पुतहु घर औतीह आ फेर घरमे लक्ष्मीक पएर पड़त से सपना सजौने छथिन। गाममे सज्जन मुदा कहबैका लोक छथि पंडित दीनानाथ झा। बेटा एमहर प्रेमक पाठ पढ़ि हुनकर जाति धर्ममे पलीता लगा रहल छथिन बिनु कोनो परिणामक अनुमान कएने। से धराधर अध्यायक अध्याय रटि गेलखिन अछि। परिणाम बुझि आइधरि के प्रेम कएलक जे ओ सब करओ। तें सबटा अवधारने अछि दुनू।

तैओ एकदिन रेखा अपन संदेह व्यक्त कएने छलि, ‘‘हमर सबहक ई एकतरफा प्यार कोन रंग आनत से कहिओ सोचैत छें संदीप।’’

‘‘एकतरफा माने ?’’ संदीप अकचकाइत बाजल।

‘‘एकतरफा माने ई जे हमसब अपने मोने तऽ प्रेममे बोरल जा रहल छी मुदा गार्जियनक बिचारक कोनो अटकर अछिए नहि।’’ रेखा स्पष्ट कएलक।

‘‘तोहर की बिचार छलौक जे माएसऽ पतरा देखाकऽ कुल गोत्र पुछिकऽ प्यार प्रारंभ करी- माताजी जँ अपने आदेश करी तऽ प्रेमक हम श्रीगणेश करी ?’’ संदीपक मसखरी सुनि दुनूकेँ हँसी लागि गेलैक।

‘‘प्यार नेआरिकऽ नहि होइत छैक मैडम। इन्टरव्यूक दिन गाछक तर पहिलबेर तोरा देखिते भेल जे अरे ई छौंड़ी तऽ हमर अछि! ई कतए हेराएल छलि एतेक दिन। से तेहन जोरदार घायल भेलहुँ जे पंडित दीनानाथ झाक सबटा शिक्षा बिसरा गेल। तखन आदेश प्राप्त करितहुँ कखन।’’ संदीप हँसैत कहलकैक।

‘‘अच्छा! लव ऐट फर्स्ट साइट!! तें बाबू पहिले दिनसऽ एतेक ध्यान राखब शुरू कऽ देने छलाह।’’ रेखा सेहो हँसैत बाजलि।

‘‘आर ने तऽ की हमरा कुकुर कटने छल जे अनठीआ छौंड़ी लेल ओतेक तरद्दुति करितहुँ।’’ संदीप फेर हँसल।

‘‘तों कते खराब लोक छें संदीप। हम एतेक दिन बुझैत रही जे तों असगर मैथिल लड़की देखि हमर मदति कएने रहइ। आ तों अपना योजना पर काज कऽ रहल छलें। बाप रे! छौंड़ा सब लड़की पटाबक कतेक दाव जनैत छैक!!’’ रेखा संदीपकेँ ठेलैत बाजलि।

‘‘जी मैडम एते सुन्नरि गर्लफ्रेन्ड पाबऽ लेल दाव सीखहे पड़ैत छैक। हँ तऽ तोरा खगता छौक गार्जियनक। प्यार करबामे हुनकर कोनो भूमिका नहि छनि। भूमिका हेतनि बिआहमे। आ से तऽ हमरा लोकनि एखन कएलहुँ नहि। हम तों एक दोसरकेँ प्यार करैत छी। प्रेम लेल एतेक पर्याप्त छैक।’’ संदीप बाजल।

‘‘वाह रे निश्चिन्त लोक! आ अइ प्यारक परणिति बिआह छैक की नहि से बाज तऽ।’’ रेखा फेर जोर देलकैक।

‘‘ओकर समय एखन नहि आयल छैक।‘‘

‘‘से कोना ?’’

‘‘देख रेखा प्रेम एकटा अस्थायी दिवानापन छैक। ओ दिवानापन भूकम्प जकाँ उद्वेलित करैत छैक दुनूकेँ आ फेर शान्त भऽ जाइत छैक। ओ उद्वेलन शान्त भेलाक बादे ई जाँच करबाक आ निर्णय करबाक छैक जे प्रेमी जोड़ाक मोऩ एक दोसराक संग गुंफित भेलैक की नहि। ओ जोड़ फेर टूटतैक तऽ नहि।’’ संदीप गंभीरतासऽ बाजल।

‘‘तऽ की हमरा लोकनि एखन भूकंपमे जीबि रहल छी ?’’ रेखा पुछलकैक।

‘‘ऑफकोर्स।‘‘ संदीप ओकरा बाँहिमे लैत कहलकैक, ‘‘आ भूकम्पक धमक हमरा छातीमे सुनि ले। उत्तेजना, वादा अथवा पैशनक नाम प्रेम नहि छैक। प्रेम तऽ एकटा आनन्ददायी घटना छैक। सबसऽ सुन्दर कला आ जीवनक सबसऽ महत्वपूर्ण समय। ओकरा ओही रूपमे लेबाक चाही।’’

‘‘तों प्रेम कतेक नीक जकाँ बुझैत छें संदीप। हम ई सब बात किएक नहि बुझैत छिएैक!’’ रेखा ओकरा देहमे आर नीक जकाँ सटैत बाजलि।

‘‘ प्रेम करब प्रारंभ कएने छें ने। हम सबटा बुझा देबौक’’ संदीप बाँहिकेँ आर सक्कत करैत बाजल।

किछु दिनक बाद रेखाक माए कोलकाता अएलखिन। बेटीकेँ संदीपक संग एके फ्लैटमे रहैत देखि कोनो अन्यथा प्रतिक्रिया व्यक्त नहि कएने छलखिन। ओ शनि दिनकऽ पहुँचल छलखिन। ओ कीचन एकदम खाली देखि बेटीकेँ पुछलखिन, ‘‘भनसाघरमे तऽ किछु छौके नहि तऽ भोजन कोना करैत छें रेखा ?’’

‘‘एक साँझ कंपनीक कैंटीनमे आ दोसर साँझ बाहर होटलमे।’’ रेखा बाजलि।

‘‘आ तोहर संगी संदीप ?’

‘’आहो ओहिना करैत छैक।’’

‘‘ओ अनठीआ भऽकऽ शुरुएसऽ तोहर एतेक मदति केलखुन। अखनो अपन जकाँ ध्यान रखैत छथुन आ तों बेचाराकेँ एक साँझ भोजनो बनाकऽ नहि देलहिन।’’ माय कहलकैक।

‘‘माय तों ओकरा ओतेक बेचारा नहि बुझहिन। अहिना एक सहकर्मी दोसरक मदति करैत छैक। ओहो कनेमने हमर संग देलक तें की हम ओकर गुलाम भऽ गेलिऐक जे ओकरा भोजन बनाकऽ खुएबइ ? नौकरीओ करबइ आ भानसो करबइ से की संभव छैक माय ! ओ हमर सहकर्मी अछि मात्र दोस्त। तों कोनो आन बात नहि सोचि लिहें से कहि दैत छिऔक।’’ रेखा बाजलि।

‘‘हम कहाँ किछु कहइ छिऔ। बालिग छें असगर बाहर रहइ छें अपन नीक बेजाए आब अपने बुझबें। सबदिन हम थोड़बे संग रहबौंक। मुदा एकटा बात कहि दैत छिऔक जे हम सब दिन होटलमे नहि खाएब।

सब वस्तुजात किनिकऽ लऽ आन। काल्हिसऽ भानस हम अपने करब।’’ माए कहलखिन।

’’हम तऽ एकबेर कहलिऐक जे कीचनमे सबटा समान रहबाक चाही। कहिओ काल जँ मोन भेल तऽ किछु बनाइओ लेलहुँ। मुदा तोहर ओ बेचारा एकदम मना कऽ देलक। तऽ हमरे कोन खगता रहए जे खुशामद करिऔ गऽ। हमर सबहक रूम आ बाथरूम ने अलग अलग अछि। कीचन तऽ साझिए छैक। जे करबैक से दुनूक सहमतिए सऽ किने। ओ मना कएलक तऽ हमहुँ अनठा देलिअइ। ओ अबैत छैक तऽ तोंही पूछि लिहैंक।’’ रेखा स्पष्ट करैत बाजलि।

‘‘पूछि की लेबैक! ओ की हमरा मना करताह। हम तऽ.......।’’ माए एखन बात पूरा कएनहुँ नहि छलखिन की संदीप रूममे प्रवेश कएलक। दुनू माइधी ओकरे देखऽ लागलि। ओकरा संग एकटा रिक्साबला सेहो छलैक। दुनूक हाथमे मारिते रास झोड़ा आदि छलैक।

‘‘अइ झोड़ा सबमे एतेक रास कोन समान सब छउ संदीप।’’ रेखा पुछलकैक।

‘‘कीचनक बर्तनभड़ा आ राशन तरकारी अदि।’’ संदीप कहलकैक।

दुनू माइधी छगुन्तासऽ एक दोसराक मुँह ताकऽ लागलि।

फेर संदीपे बाजल, ‘‘आंटी की हमरे सब जकाँ सबदिन बाहरे खेथिन ! तें सब प्रबंध कऽ अनलिऐक। गैसक कनेक्शन तऽ छैके। जखन मोन हेतैक तऽ आब बनाइओकऽ खाएल जेतैक। अइमे हर्जे की! की आंटी ?’’

‘‘हमसब यैह तऽ चर्चं करैत रही ता अहाँ सब किछु किनिओकऽ लऽ अनलिऐक। अहाँ कते नीक छी बौआ! हमरा मोनक बात बुझि गेलिअइ।’’ माय प्रसन्नतासऽ अभिभूत भए कहलखिन।

‘‘हँ हँ बड़ नीक बौआ। बड़ अगरजानी पंडित। यैह बात जखन हम कहैत रहिऐक तऽ बड़का बड़का फिलासफी झाड़ैत रहए आ माएकेँ इम्प्रेस करबा लेल देखिऔ केहन ज्ञानी केहन सुशील बनि गेलैक। बाप रे बाप छौंड़ा सब कतेक गँओ सब जनैत छैक !!’’ रेखा व्यंग करैत कहने छलैक।

‘‘अँए गे! तों एना रेकार मारिकऽ किएक बात करैत छहुन हिनकासऽ। यैह संस्कार सिखने छें गाममें ?’’ माएकेँ रेखाक बाजब बेजाय लागल छलनि।

‘‘गाममे जे सिखौलँए से बाप-पित्ती सब लेल किने। एकरा लेल तऽ नहि सिखौने छें। ई तऽ हमर संगी सहकर्मी अछि। एकरा की कहिऔ ‘यौ संदीप बाबूजी यौ’ ?’’ रेखा हँसैत बाजलि आ फेर सब एक संग हँसऽ लागल।

‘‘छोड़ि दिऔ आंटी, ई संबोधन हमसब सहमतिएसऽ बजइ छी। अइमे कने बेसी अपनापन बुझाइत छैक।‘‘ संदीप समर्थन करैत बाजल।

‘‘ठीक छइ जे अहाँ सबहक मोन।’’ माए कीचनमे समान सरिआबए लागल छलीह।

रेखाक माए तऽ माए छलखिन। बेटीमे प्राण बसैत छलनि। जे बेटीकेँ पसिन्न सैह हुनको पसिन्न। ओ गाम जएबासऽ पूर्व एकबेर रेखासऽ बिआहक मादें पुछने छलखिन तऽ रेखा कहने छलनि जे तों चिन्ता नहि कर माए। हमरा पर भरोसा राख। हम कोनो एहन ओहन काज नहि कऽ सकैत छी। समय पर सब मनोरथ पूरा हेतौक। किछु समय आर दे। माए निश्चिन्त भऽकऽ गाम घुरल छलखिन।

असली परीक्षा प्रारंभ भेलैक जखन संदीपक बाप आ भाए कोलकाता आबक सूचना देने छलखिन। रेखा डेरा गेल छलि, ‘‘संदीप आब की करबें ?’’

‘‘की करबें माने ! आब दू बरखसऽ हमसब नौकरी करैत छी आ एक फ्लैटमे रहैत छी। हमर छोट भाए कएबेर आबिकऽ सबटा देखिए गेलए। हमहुँ कएबेर गाम गेलहुँए। आब बाबू अबैत छथिन तऽ की हेतैक। जेना रहैत छी तहिना रहब। ने किछु गलत कएलहुँ ने किछु नुकाबक खगता अछि। फ्लैटक भाड़ा आधे देबऽ पड़ैए से देखि तऽ ओ प्रसन्ने हेताह।’’ संदीप बाजल।

‘‘एतबो आसान नहि छैक बौआ जेना तों हँसीमे बजैत छें। तोहर भाए पढ़ैत लिखैत छौक। ओ दुनिया देखइ सुनइ छइ ओकरा ई सब पचब ओतेक कठिन नहि छैक। मुदा कोसिकन्हाक पंडित श्री दीनानाथ झा बाप भऽकऽ एतेक जल्दी सबटा स्वीकार करथुन से असंभव।’’ रेखा बाजलि।

‘‘ठीक छैक तऽ तोंही कह जे की करबाक चाही ?’’ संदीप पुछलकैक।

‘‘जँ तोहर बिचार होउक तऽ जाधरि ओ सब एतऽ रहथिन हम अनामिकाक संग ओकरे डेरामे रहि लेब।’’ रेखा सुरक्षित प्रस्ताव रखलक।

‘‘नहि किन्नहु नहि। से की हमसब कोनो चोरीनुकी कएने छी जे डेरायब। प्रेम करब अधलाह बात नहि छैक। एक ने एक दिन तऽ ई सत्य प्रकट होबाक छैके तऽ अही बेर भऽ जाइक तऽ बेजाय की। बाबू देखि लेथिन बुझि लेथिन सब किछु तऽ बढ़ियें हेतैक। बात पुरनेतइ तऽ हुनको बिचार बदलतनि। कोनो स्थितिमे हम तोरा अनका घर नहि पठा सकैत छी। अइसऽ तऽ हमर सबहक अपराधबोध प्रकट हैत जे अपराध हमरा लोकनि करबे ने कएलहुँ।’’ संदीप अपन दृढ़ता देखौलक।

‘‘एखन जतेक वीरता देखबैत छें से बाबूक समक्ष रहतौक तखन ने। तों एखन धरि अपना बाबूक मादें जे किछु कहने छें ताहिसऽ आशंका होइअए जे किछु गड़बड़ ने भऽ जाउक।’’ रेखा एखनो डेरायल छलि।

‘‘से जे हैतैक आब तकर समाधान निकालल जेतैक। तोहर माएसऽ सीखऽ पड़तनि हमरो बाबूकेँ।’’ संदीप बाजल।

पंडित दीनानाथ झा शनिदिन भोरे साल्टलेक डेरा जुमि गेलाह। छोटका बेटा प्रदीप संगे छलखिन तें कोनो कष्ट नहि भेलनि। ओ पहिलहुँ एकाध बेर कोलकाता गौंआक डेरा पर आयल छथि। तें बेसी अनभुआर नहि लागल छलनि। संदीप दुनू गोटाकेँ तेसर बेडरूममे स्थापित कऽ देलकनि। स्नान जलखइ होइत होइत पंडितजीकेँ सबटा सुनगुन लागि गेलनि। ओ पहिले प्रदीपसऽ पूछिकऽ बातक संपुष्टि प्राप्त कएलनि तकरा बाद हुनका एको क्षण बरदासि नहि भेलनि। भोजनोपरान्त बेरिआमे संदीपसऽ पुछारि कएलनि। संदीप सबटा सत सत संक्षेपमें कहि देलकनि। आब तऽ पंडितजी अग्निश्च वायुश्च भऽ गेलाह। कन्याक जाति दोसर तऽ ओतेक कष्टक बात नहि लगलनि मुदा दू बरखसऽ बिनु बिआहे संग रहबाक बात किन्नहु नहि अरघलनि। ओ बेटाकेँ किछु उठा नहि रखलखिन। संदीप एकबेर सबटा कहलाक बाद चुप्पी लगा देलक। बाबूक पहिल तामस पिबि लेबाक सोचि लेने छल। पंडित बजैत बजैत जखन चिकरए लगलखिन तऽ प्रदीप मैदान सम्हारलक, ’’बाबूजी कने नहुँए बजिऔ। अइठाम अगल बगलमे आन लोक सब छइ। अपन गामक लोक नइ छइ। समय बढ़िकऽ कहाँ सऽ कहाँ चलि गेलइ आ अहाँ एखनो कोसिकन्हाकेँ पकड़ने छी। बेटाकेँ नौकरी चाही मल्टीनशनलमे आ परंपरा चाही मिथिलाक अठारहम शताब्दीबला। दुनू कोना कऽ हैत। ई सब बात आब शहरमे रेहल खेहल भऽ गेल छइ। तैओ भैया अहाँक परंपराकेँ ओतेक खंडितो नहि कएलनि अछि।’’

बाप शान्त होएबाक बदला आर बेसी गरजऽ लगलखिन। पहिले लक्ष्य मात्र संदीप छल आब प्रदीप सेहो निसाना पर आबि गेल छल, ‘‘तों सब आब हमर बेटा नहि मास्टर भऽ गेलाहें। आब परंपरा आ आधुनिकता हमरा तोरा सबसऽ पढ़ पड़त। जाति पाति जँ बिसरिओ जाइ तऽ बिनु बिआहे कनिया संग दू बरससऽ रहैए, ई होइ ? तखन उलटे हमरे पढ़बऽ चललए दुनू। हम बड़ बकलेल बड़ गमार आ ई दुनू लंदनमे जनमल बड़ होशियार। रौ तोहर माय मरि गेलीह तऽ हम तोरे दुनूके देखिकऽ संतोष कएलहुँं तहिएसऽ आस लगौने छलहुँ जे पुतहु ताकब। बेटाक बिआह करायब। पुतहु परिछिकऽ घर आनब। फेर लक्ष्मीक पएर घरमें पड़त। उजड़ल घर फेर घर भऽ जाएत। तों सब सबटा सत्यानास कऽ देलें आ आब हमरा गमारो कहैत छें। हमरा बुते आब समझौता करब पार नहि लगतौ। काल्हि हम मनोहराक डेरा कालीघाट चलि जाएब आ ओतहिसऽ गाम। ज्जो भरि पौलहुँ तोरा दुनू भाइसऽ।’’

‘‘बाबू अहाँ बात नीक जकाँ कने बुझि लिऔक। अहाँक कोनो मनोरथ हम नहि तोड़लहुँ। आधुनिकताक संग सेहो परंपरा निमाहल जा सकैत छैक। से ज्ञान अहाँसऽ हमरा सबकेँ भेटल अछि। तकरा हम नहि बिसरल छी। हम एक फ्लैटमे अइ दुआरे छी जे दुनूक आधा भाड़ा बचैत अछि। हम दुनू गोटा बिआह अवश्य करऽ चाहैत छी मुदा कोनो सीमाक अतिक्रमण हमसब नहि कएने छी। अहाँक जे सेहन्ता अछि से पूरा करू। ओहिमे कहाँ कोनो भाँगठ पड़लए। एकेटा कमी भेलए जे कन्या अहाँक बदला हम स्वयं ताकि लेने छी। शेष सबटा बाकिए अछि। हमरा पर विश्वास करू आ हमरा क्षमा कऽ दीअऽ।’’ संदीप अन्तिम बात बाजिकऽ उठि गेल। सब चुप छल। अपना रूमसऽ रेखा सेहो सबटा सुनि रहल छलि। ओ भोरसऽ एखन धरि एको बेर बाबूक आँखिक सामने नहि पड़ल अछि। संदीप अपन रूममे गेल आ तैयार भऽकऽ घरसऽ बाहर भऽ गेल।

पंडित दीनानाथ झाक मोन बेस छटपटा रहल छलनि। की करी की नहि। एकदिस बेटाक प्रसन्नता आ दोसर दिस अपन मोनक टीस। कोन दिस बढ़ि जाथि से निस्तुकी एतेक जल्दी कोना होइतनि। घसमोड़िकऽ ठामे ओछाओन पर पड़ि रहलाह। कने नीन्न सेहो भऽ गेलनि। जखन आँखि खुजलनि तऽ फेर वैह गुनधुनी धऽ लेलकनि। आब ओ अइ पार की ओइ पार करबाक मोन बना लेलनि। जोरसऽ हाक देलखिन, ’’प्रदीप कहाँ छें ?’’

बालकोनीसऽ आबिकऽ प्रदीप ठाढ़ भेल। ‘‘संदीपकेँ बजा। आब तसफीआ भैए जाए।’’

‘‘भैया तऽ तखने घरसऽ निकलि गेलाह। औताह तखने बात हैत।’’ प्रदीप कहलकनि।

साँझ भेल राति भेल मुदा संदीप नहि घुरल। प्रदीप भोजन बनौलक। दुनू बापुत भोजन लेल प्रतीक्षा कऽकऽ थाकि गेलाह संदीप नहि घुरल। आब सबकेँ चिन्ता होएब स्वभाविक छलैक। रेखा सेहो अपन रूममे चिन्ता मग्न छलि। ओकरा होइत छलैक जे ओकरे कारण एकटा परिवार छिन्न भिन्न होएबा पर आबि गेल छैक। फेर होइत छलैक जे ओ कोनो गलती तऽ नहि कएने अछि। ओकरा संदीप पर दया अबैत छलैक जे ओ बेचारा असगरे ई युद्ध लड़ि रहल छैक। जखन की ओकर आधाक सहभागी तऽ ओहो अछि। ओकरो किछु करबाक चाही। मुदा की ? ओ की करओ ? संदीप घर छोड़िकऽ निकलि गेल छैक से अलग चिन्ताक बात छैक। मोबाइल धरि स्वीच आफ कएने छैक। बड़का वीर बनैत छलैक ओकरा सामने। बाप जहाँ एकबेर हुरपेटलकैक की बस्स...। सब शेखी घुसरि गेलैक। बापक मिनती करबाक बदला रण छोड़ि देलक। आब ओकरा कतऽ ताकल जाए। ओ सब दोस्त सबसऽ घुमा फिराकऽ पुछि लेने छल। केओ कोनो सूचना नहि देने छलैक।

रातिमे केओ भोजन नहि कएलक। पंडितजी आब दोसरे फाँकमे फँसि गेलाह। भेलनि जे परंपराक रक्षामे कहीं बेटे ने हाथसऽ निकलि जानि। पत्नीक मृत्युक बाद जे तपस्या कएलनि से जिद्दक कारण कहीं भंग ने भऽ जानि। तकर चिन्ता होबऽ लगलनि। आखिर संदीप चलि कतऽ गेल ? हम बाप छी एकबेर विरोधो करऽ सऽ गेलहुँ। एकबेर डाँटहु सऽ गेलहुँ। एखन तऽ गपेसप ने भऽ रहल छलइ। एहन कोनो निर्णय तऽ हम नहि कहि देलिऐक जे ओ.....। हम तऽ एखन ओहि कन्याकेँ देखबो नहि केलिऐक अछि। ई काज तऽ संदीपेक छलैक। प्रदीप कहलक जे कन्या बड़ सुन्नरि आ सुशील छैक। से देखितिऐक तऽ कहीं हमर मोन बदलिए जाइत। से प्रयास नहि कएलक आ भागि गेल। रातिभरि अहिना कछमछ करैत बिति गेलनि। एको बेर आँखि नहि लगलनि।

भोरेसऽ फेर प्रदीप जहाँ तहाँ बौआए लागल जे कतहु भाए अभरि जाइक। ओ ओतेक चिन्तित नहि छल। ओ बुझौत छल जे भैया कोनो होटलमे रुकिकऽ बाबूक तामस कम हेबाक प्रतीक्षामे हेताह। बाबूक कमजोरी हम दुनू भाइ छिअनि। एकाधे दिनमे तामस बिला जेतनि। से बात भैया सेहो बुझैत छथिन।

दीनानाथ बाबू असगरे अपन रूममे पड़ल चिन्ता मग्न छलाह। ‘‘बाबूजी हम अपनेसऽ दू मिनट बात कऽ सकैत छी?’’ नारी कंठ सुनि ओ चेहा उठलाह। केबाड़ दिस देखलनि। सलवार कुर्त्ता ओढ़नी पहिरने ठाढ़ि एकटा दिव्य कन्याकेँ देखिते रहि गेलाह। हुनका ई बुझबामे कनिओ भांगठ नहि रहलनि जे ओ के अछि। उठिकऽ बैसैत बजलाह, ‘‘हँ हँ किएक नहि। आउ बैसू।’’

रेखा एकटा कुर्सी पर बैसि गेलि।

‘‘हँ आब कहू।’’ दीनानाथ बाबू बजलाह।

‘‘हमर नाम रेखा अछि। हम संदीपक संग ओही आफिसमे काज करैत छी।’’ रेखा कहब प्रारंभ कएलक आ अपन सबटा भूगोल इतिहास सुनबैत आगु कहलकनि, ‘‘ संदीप आ हम एक फ्लैटमे रहैत छी। मुदा एक संग नहि रहैत छी। हमरा दुनू गोटाकेँ अपन मर्यादाक सीमा बुझल अछि। पुतहुक अपनेक सब सेहन्ता हमरो सऽ पूर्ण भऽ सकैए। हम मैथिले कन्या छी। सासु ससुरक प्रति की कर्त्तव्य होइत छैक से हमरो बुझल अछि। पढ़ि लिखि लेलासऽ की नौकरी कएलासऽ लोक आन नहि भऽ जाइत छैक बाबूजी। हँ तखन कनेमने चलनसारि अवश्य बदलि जाइत छैक। आ से बदलाव तऽ संस्कृतिमे होइते रहबाक चाही। तखने हम दोसर संस्कृतिक संग बराबरी कऽ सकब अन्यथा जमकल पानिमे कदइ पकड़ि लेत।’’

दीनानाथ बाबू रेखाक रूप गुण आ बुद्धिसऽ चमत्कृत भऽ चुकल छलाह। एहने पुतहु तऽ ओ चाहैत छलाह। बजलाह, ‘‘अहाँ की चाहैत छी बौआ ?’’

‘‘अपनेक स्वीकृति आ आशीष।’’ रेखा बाजलि।

‘‘अहाँ सनक पुतहु ककरा नहि चाही।’’ ओ ठाढ़ होइत बजलाह।

रेखा हुनका पएर पर झुकि गेल।

‘‘मुदा संदीप ?’’ दीनानाथ बाबू आशिर्वाद दैत अपन चिन्ता प्रगट कएलनि।

‘‘ओ बड़ संतुलित आ बुझनुक लोक छथि बाबूजी। ओ अपनेक डरे कोनो होटलमे छथि। ओ लीव नहि लेने छथि तें काल्हि आफिस अवश्य औताह। हम जखने अपनेक आशिर्वादक बात कहबनि की ओ घुरि औताह। अपने चिन्ता नहि करू।’’ रेखा कहलकनि।

‘‘अहाँ जखन एतेक विश्वाससऽ कहैत छी तऽ चिन्ता किएक करब।’’

‘‘हम भानस बनबैत छी। अपने प्रदीपकें फोनसऽ वापस बजा लिऔन। सबगोटा कल्हुके खएने छी।’’ रेखा अह्लादसऽ बाजलि।

दीनानाथ बाबूक आँखि भीजि गेलनि। ओ प्रदीपक नंबर मिलाबऽ लगलाह।
श्याम दरिहरे
साभार- साहित्यिक चौपाड़ि पत्रिका

Post a Comment

0 Comments